विद्यापति मैथिल युवा मंच (वीएमवाइएम), दिल्लीक १५'म सरस्वती पूजनोत्सव विगत बसंत पंचमी दिन सफलतापूर्वक मनाओल गेल. एहि उपलक्ष्य मे संस्था दिस सँ छात्र/छात्रा सभक लेल मारिते रास प्रतियोगिता सबहक आयोजन कयल गेल. जाहि मे कुल ७०० सँ बेसी छात्र/छात्रा सम्मिलित भेलनि. जकर पूर्व चयन संस्था द्वारा पूर्व निर्धारित तिथि दिनांक १५.०१. २०१७ आ २२.०१. २०१७ कें क्रमशः प्रश्नोत्तरी आ नृत्य ओ गायन लेल कयल गेल. एहि अंतर्गत प्रश्नोत्तरी मे कुल २०, नृत्य मे १५ आ गायन लेल ६ छात्र/छात्राक चयन भेल.
तकरा बाद दिनांक ०१ फरवरी २०१७ कें स्वाति अपार्टमेंट पार्क, विनोदनगर मे विधिवत प्रतिमा पूजन,संगीतमय आरती आ प्रसाद वितरण क' आस्थापूर्वक विद्याक अधिष्ठास्ति देवी सरस्वतीक पूजा-अर्चना कयल गेल. अवसर पर संस्था द्वारा प्रतिवर्ष बसंत पंचमीक शुभ अवसर पर बहार होम' बला स्मारिका विमोचित भेल. विदित हो कि ई स्मारिका सभ बेर मातृभाषा मैथिलीए टा मे बहार होइत अछि आ एकरा अन्तर्गत प्रायः मैथिलीक प्रतिष्ठित युवा आ वरिष्ठ साहित्यकार लोकनिक रचना प्रकाशित कयल जाइत अछि.
कार्यक्रम मे वी.एम. वाइ.एम एकेडमी द्वारा छात्र प्रतियोगिताक आयोजन मे अंतिम चयनित छात्रलोकनि जेना प्रश्नोत्तरी मे १२,नृत्य मे अंतिम १, गायन मे ६ आ चित्रकला मे ६ कें पुरस्कृत कायल गेल. छात्र प्रतियोगिताक निर्णायक मंडल मे वंदना झा, रमण कुमार, प्रियदर्शिनी पूजा, विक्रम झा, संजीव, अनुश्री मिश्रा, डॉली झा, कंचन,निधि, मनीषा झा एवं सपना सिंह रहथि.
वी.एम. वाइ.एम द्वारा होम' बला एहि सरस्वती पूजनोत्सव मे अतिथि सम्मानक अन्तर्गत संजय कुमार झा (राष्ट्रीय महासचिव, जदयू), दिनेश सिंह (पूर्व कुलपति,दिल्ली विश्वविद्यालय), सी.एम.झा (चेयरमैन,सी.एम.जे,यूनिवर्सिटी), अशोक झा (अध्यक्ष,मिथिला विकास परिषद,कोलकाता), गोपाल केडिया (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट), अनिल झा (जी.एम. रिलायबल डाटा), नितिन कँवर (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट), निशिकांत ठाकुर (संपादक-शुक्लपक्ष), श्रीमती रूपम झा (नेत्री,आम आदमी पार्टी), एस.एन.झा (रिटायर्ड आइ.ए.एस.) , डॉ. बी.के.झा (चिकित्सक), सुमित कँवर (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट), डॉ. बीरबल झा (चेयरमैन मिथिलालोक एवं एम.डी.ब्रिटिश लिंगुआ), मनोज अग्रवाल (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट) , राजीव झा (महासचिव,नेपाल सद्भावना पार्टी), अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री,नेपाल सरकार), बिपिन बिहारी सिंह (नेता,भाजपा), नकुल भारद्वाज (नेता, भाजपा) केँ संस्था दिस सँ सम्मानित कयल गेल. अवसर पर मैथिली पत्रकारिता सम्मानक अन्तर्गत मिथिला दर्शन डॉट न्यूज़क संपादक राहुल राय सम्मानित भेलथि.
सरस्वती पूजनोत्सवक एहि अवसर पर वी.एम. वाइ.एम डिस्पेंसरी दिस सँ फिजियोथेरपी एवं अन्य रोग तथा श्यामा स्पेशिलिटी हॉस्पिटल द्वारा नेत्र रोगक निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविर लगाओल गेल. संध्या पहर सांस्कृतिक कार्यक्रम अन्तर्गत , रमेश मल्लिक एंड ग्रुप (वादन), संजय झा (गायन), रश्मि प्रिया झा (गायन), नेहा प्रियदर्शिनी (गायन), राम नारायण ठाकुर (प्रहसन,मिनाप,जनकपुर), ललिता राउत (प्रहसन,मिनाप,जनकपुर), राजेश (प्रहसन,मिनाप,जनकपुर), किशन कन्हैया (गायन), मदन मुस्कान (गायन), मनीष मिश्रा (गायन), आद्या एवं अपेक्षा (सुपुत्री रमेश मल्लिक- युगल गीत) एवं अदिति मिश्रा (नृत्य) द्वारा रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल. जाहि मे मंच संचालन संयुक्त रूप सँ मनीष झा बौआभाइ आ आंनद मोहन झा केलनि.
एहि अवसर पर मारिते मिथिला-मैथिली अभियानी उपस्थित रहथि. जाहि मे प्रमुख छथि- विजय चन्द्र झा,विद्यानन्द झा,अमरनाथ झा,रूपम झा,रामबाबू सिंह,शरत झा,संजीव सिन्हा,विभय झा,संतोष राठौड़,विमल जी मिश्र,प्रसून झा,संजय नागदह,ब्रजेश मिश्र,ललित नारायण झा,शिवेश झा,मोहन मुरारी झा,विजय कुमार झा,तपन झा,अमरेन्द्र झा,अनूप मैथिल आदि.
पुज्नोत्सवक कॉर्पोरेट सपोर्ट वेल्वोलिन कम्मिन्स प्राइवेट लिमिटेड, सरेन्स इन्डिया तथा रिलाएबल डाटा सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड द्वारा कयल गेल. जकर मीडिया पार्टनर मिथिला मिरर, मिथिला दर्शन.न्यूज, मैथिली जिन्दाबाद, मिथिमीडिया एवं ई-मिथिला छल.
कोई टिप्पणी नहीं: