
दरभंगा : मनीगाछी प्रखंड अंतर्गत विशौल, टटुआर गामक शिवरात्रि महोत्सव केन्द्रित स्मारिका बाबा सिद्धेश्वरनाथक प्रांगण मे बीतल शिवरातिक अवसर पर विमोचित कएल गेल.
ई गामक तेसर स्मारिका थिक जे शिवरातिक अवसर पर प्रकाशित भेल अछि, जे इंगित करैत अछि कि समाज धर्मक प्रति निष्ठावान अछि आ अपन आराध्यक प्रति ई पुष्प अर्पित क' रहल अछि. ई सम्पूर्ण ग्रामवासीक समन्वित प्रयास सं प्रकाशित होइत अछि जे साबित करैत अछि कि धर्म समाज जोड़बाक काज करैत अछि तथा भाव ओ वैचारिक मतभेदिता रहबाक बादो सभ कें एक क' दैत अछि.
जनतब हो कि सिद्धेश्वरनाथ मंदिर टटुआर, मनीगाछी द्वारा प्रत्येक वर्ष बेस घूम-घाम सं शिवरात्रि महापर्वक आयोजन कएल जाइत अछि आ ई गामक शिवरात्रि महोत्सवक 25 सम वर्ष थिक. कोनो आयोजनक 25 वर्ष सफल आयोजन करब अपना-आप मे बड़ पैघ उपलब्धि होइत अछि आ एहि लेल टटुआरक समस्त ग्रामवासी धन्यवादक पात्र छथि.
मातृभाषा मैथिली मे बहराएल एहि स्मारिकाक संपादन आने वर्ष जकां एहि बेर सेहो युवा लेखक मुकुन्द मयंक कयलनि अछि आ संयोजन सेहो पुनः श्रृषिकेश झाक छनि. हमरा बूझने कोनो भाषाक विकास तखने बेसी नीक जकां संभव होइत अछि, जखन ओहि भाषाक्षेत्रक बेसी सं बेसी काज मातृभाषे टा मे कयल जा रहल हो आ टटुआर ग्रामवासी एहि एखन धरि एक हद धरि खूब सफल रहलनि अछि तथा मिथिला आ मैथिलीक विकास मे छोटे स्तर पर सही मुदा निरंतर योगदान द' रहलनि अछि. स्मारिका शेखर प्रकाशन पटना सं प्रकाशित भेल अछि.
~ बाल मुकुंद पाठक
शिवरात्रि महोत्सव पर बहराएल टटुआर गामक तेसर स्मारिका :
Reviewed by बालमुकुन्द
on
मार्च 10, 2016
Rating:

सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें
(
Atom
)
Thanks this post really opened my eyes. It is not only eye opening rather very beneficial for the people those who want to do something good in his life.
जवाब देंहटाएंEx love back specialist in Gurgaon
Vashikaran specialist in London
Vashikaran specialist in England
Vashikaran specialist in Denmark
Vashikaran specialist in Australia