पहिल दिनक पूर्व चयन दिनांक-२४ जनवरी २०१६ क’ संस्था संचालित शिक्षा केंद्र (वी.एम.वाइ.एम. एकेडमी) पर राखल गेल जकर विवरण एहि प्रकारे अछि :
प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिता 
चयन समिति : भरत झा, पशुपति नाथ झा,सरोज चौधरी आ संतोष चौधरी 
कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : ११० 
कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : १२० 
प्रश्न संख्या : ३०/ प्रत्येक प्रश्नक मान समान
प्रश्न प्रारूप : संख्या १ स’ २५ वैकल्पिक एवं २६ स’ ३० रिक्त स्थान पूर्ति 
समय सीमा : अधिकतम ४० मिनट
उपरोक्त प्रतियोगी में स’ १२ टा जूनियर आर १२ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक मौखिक जाँच मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ छ’-छ’ टा प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत. 
दोसर दिनक पूर्व चयन दिनांक-३१ जनवरी २०१६ क’ पूर्वी दिल्ली नगर निगम प्रतिभा बाल/बालिका विद्यालय,मंडावलीक मनोरंजन गृह मे राखल गेल जकर विवरण एहि प्रकारे अछि :
गायन प्रतियोगिता 
निर्णायक : दीपक ठाकुर आ राजीव रंजन झा (रॉकस्टार)
कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : ७५ 
कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : ८० 
उपरोक्त प्रतियोगी में स’ ३ टा जूनियर आर ३ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक अंतिम चयन मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ प्रथम,द्वितीय आ तृतीय स्थानक प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत. 
नृत्य प्रतियोगिता 
निर्णायिक : पुष्पा झा आ कोमल सिंह
कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : १४० 
कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : १२५ 
उपरोक्त प्रतियोगी में स’ ७ टा जूनियर आर ७ टा सीनियर समूह में स’ चयनित छात्र/छात्राक अंतिम चयन मंच पर आ उपस्थित दर्शकक सोझा हुनक प्रतिभाक आधार पर हएत आ अंतिम निर्णय के रूपमे दुन्नू समूह स’ प्रथम,द्वितीय आ तृतीय स्थानक प्रतियोगीकें पुरस्कृत कएल जाएत. 
चित्रकला प्रतियोगिता 
एहि मे आवेदित कुल छात्र/छात्राक सहभागिता ओ अंतिम निर्णय पूजा पंडाल परिसर मे हएत. कक्षा : ६ आ ७ (जूनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : १६० 
कक्षा : ८ आ ९ (सीनियर समूह)
कुल आवेदित फॉर्म : १५५ 
(मनीष झा  बौआभाइ द्वारा पठाओल समाद पर आधारित)
 
कोई टिप्पणी नहीं: