विद्यापति मैथिल युवा मंच मनौलक चौदहम सरस्वती पूजा महोत्सव


दिल्ली, विनोद नगर मे वी.एम.वाइ.एम (विद्यापति मैथिल युवा मंच) अपन चौदहम मां सरस्वती पूजा महोत्सव गत वर्षक भांति एहि बेर सेहो बेस घूम-धाम आ उल्लासक संग मनौलक.

पूजनोत्सवक सुअवसर पर संस्था द्वारा प्रतिभावान छात्र/छात्रा लेल विभिन्न तरहक प्रतियोगिताक आयोजन कराओल गेल. जकरा अंतर्गत प्रश्नोत्तरी, चित्रकला, नृत्य ओ संगीतकला प्रतियोगिताक आयोजन भेल. जाहि मे लगभग 1000 नेनाक उपस्थिति रहल. जनतब हो कि पूजा दिनुक अस्त-व्यस्ताक ध्यान मे रखैत एहि प्रतियोगिता सबहक पूर्व चयन पूजा सं पहिनहिए संस्था द्वारा संचालित वी. एम. वाइ. एम एकेडमी मे कएल गेल छल. एहि अवसर पर प्रतियोगी छात्र/छात्राक अभिभावक लोकनिक उपस्थिति सेहो देखबा मे आएल. 
मां शारदाक पूजनक सुअवसर पर संस्था द्वारा प्रकाशित होम' बला स्मारिका ओ कैलेंडरक  विमोचन  भेल. 
मातृभाषा मैथिली मे बहराएल एहि स्मारिका मे बेसी नव-नव रचनाकारक रचना कें स्थान देबाक प्रयास कएल गेल अछि जे संस्था विद्यापति मैथिल युवा मंचक दूरगामी सोच कें भान तं कराबिते अछि संगहि संस्थाक नाम कें सेहो सार्थकता प्रदान करैछ.


सांझु पहर रमेश मल्लिक एंड म्यूजिकल ग्रुप द्वारा सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कएल गेल. जाहि मे पुष्पा झा, अनुश्री मिश्र, मदन कुमार झा, राजीव रंजन झा राॅकस्टार आ अमरेश मल्लिक अपन प्रस्तुति देलनि. सांस्कृतिक कार्यक्रमक बीच-बीच मे नृत्य आ गायन प्रतियोगिताक समन्वय सेहो कएल गेल. एहि सुंदर आ मनलग्गू सांस्कृतिक संध्याक कुशल संचालन युवा कवि-गीतकार मनीष झा बौआभाइ कएलनि.

एहि पूजनक सुअवसर पर प्रतियोगी छात्र/छात्रा मे पुरस्कार वितरणक संग-संग अतिथि लोकनिक सम्मान संस्थाक कार्यकता लोकनि द्वारा कएल गेल. सम्मानित अतिथि मनीष सिसोदिया (उप-मुख्यमंत्री,दिल्ली सरकार), संजीव झा (विधायक, बुराड़ी,दिल्ली), सरिता मिश्रा (पत्नी-जीवेश मिश्र,विधायक,जाले-दरभंगा), सुशील सिंह (आप के बिहार प्रदेश प्रभारी), निशिकांत ठाकुर (वरिष्ठ पत्रकार आ सम्पादक, शुक्लपक्ष), पूनम झा आजाद (वरिष्ठ सदस्य दिल्ली प्रदेश भाजपा), डॉ. बी. के.झा (चिकित्सक आ समाजसेवी) , अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री, नेपाल सरकार), राजीव झा (जेनरल सेक्रेटरी, नेपाल सद्भावना पार्टी), डॉ. बीरबल झा (प्रबंध निदेशक, ब्रिटिश लिंगुआ), सी.ए. हंसराज चुग, सी.ए. गोपाल केडिया, सी.ए. नितिन कँवर, बी. के. शर्मा, ज्ञान चन्द सिंघल, प्रकाश झा (निदेशक,मैलोरंग), मुकेश झा (रेपर्टरी चीफ,मैलोरंग), शुभ नारायण झा (वरिष्ठ अभिनेता फिल्म एवं रंगमंच) आदि  लब्धप्रतिष्ठित लोकनि कें पाग, दोपटा, संस्थाक स्मृति चिह्न तथा पूजनोत्सव पर बहराएल स्मारिका आ कैलेंडर प्रदान कएल गेल.


पूजनोत्सव पर निःशुल्क चिकित्सा परामर्श केन्द्र, आइ कैम्प, फिजियोथेरापी कैम्प सब सेहो लगाओल गेल छल. एहि विराट पूजनोत्सव मे वीएमवाइसीक सहयोगी संस्था छल- मैथिली लोक रंग (मैलोरंग), एम. एम. प्रोडक्शन टीम (फोटोग्राफी आ वीडियोग्राफी), श्यामा हॉस्पिटल (आइ कैम्प) आदि. तथा कार्पेरेट सहयोग- वेल्वोलिन कमिन्स प्राइवेट लिमिटेड द्वारा कएल गेल छल. 

एहि सुअवसर पर मैथिल अभियानी- नीरज पाठक, रमानाथ झा, अखिलेश झा, विमल जी मिश्र, हेमन्त झा, अमरनाथ झा, संतोष राठौर,संजय झा “नागदह”, शरत झा, कमलेश मिश्र, सोनू मिश्र, राहुल राय, विभय कुमार झा, रौशन कुमार झा,सुनील शानू , काशी मिश्र ,मुकेश मिश्र, अमरनाथ मिश्र,मुकुन्द मयंक कें अलाबे पूजा सं विसर्जन धरि लगभग तीन हजार लोकक उपस्थिति रहल जकरा देखि एतेक जरूर कहल जा सकैछ कि कार्यक्रम खूब सफल रहल. आयोजन स्थल पर उपस्थित मैथिलानी समूह द्वारा समदाओन गाबि मां शारदाक प्रतिमाक विसर्जित कएल गेल.

विद्यापति मैथिल युवा मंच मनौलक चौदहम सरस्वती पूजा महोत्सव विद्यापति मैथिल युवा मंच मनौलक चौदहम सरस्वती पूजा महोत्सव Reviewed by बालमुकुन्द on फ़रवरी 25, 2016 Rating: 5

कोई टिप्पणी नहीं:

Blogger द्वारा संचालित.