कदम जोड़ी फूल


वीरेन्द्र ठाकुर 'वियोगी'क किछु गीत

 (१) शारदा वन्दना

कर्पूर नै छै कर मे हे वाणी
करबैक पूजा कोना हे जननी।
ने कंठे मधुर छै ने बाजाक साधन
कोना केँ भजब हम तोहर नाम पावन
उब डूब भमर मे हमर छैक नैया
ने पतवार छै एक्को, ने एक्को खेवैया
ने बुद्धिक वैभव चतुरता हमर संग
बनल छी निबल हम दुःखे टा केने तंग
हे वाचा बचाबी हमर प्राण यदि तँ
दीय दान विद्या सुयश हो जगत मे
की हम वियोगी विरह गीत गबिते
ने पायब एक्को क्षण सुखक बाट माते
कर्पूर नै छै कर मे  हे  वाणी
करबैक पूजा कोना केँ हे जननी ।

(२) 

(तर्ज : एक प्यार का नगमा है)

दुनिया मे जन्म लेलौं किछु करू अहाँ मानव
ई पंछी उड़ि जेतइ तँ व्यर्थ होयत कानब।

किछु सोच विचार करू अहाँ किया एलौं जग मे
हिरासन काया सँ नित भजन करू मन मे
हरे राम हरे रामा सदिखन तँ भजू मानव
ई पंछी उड़ि जेतइ तँ व्यर्थ होएत कानब।

लाख चौरासी घुमलौं तखन ई तन पयलौं
यदि चुकब अपन पथ सँ व्यर्थ अहाँ जन्म लेलौं
पल मे की की हेतइ से कखनो नहि जानब
ई पंछी उड़ि जेतइ तँ व्यर्थ होइत कानब।

करु भजन करु प्राणी जग घुमय अहाँ अयलौं
प्रभु कृपा दृष्टीफल सँ अवसर सुंदर पयलौं
ई विरह वियोगी तन हेतइ निश्चित दानव
ई पंछी उड़ि जेतइ तँ व्यर्थ होयत कानब।

(३) कदम जोड़ी फूल

आइह कदम जोड़ी फूल
पहुँचल पतिया, दुख केर बतिया
पहु पाबि झूर-झमान हइ
कदम जोडी फूल ।

मैथिलीक ई दीन समय अछि।
सभा मध्य अन्हेर भेल अछि
तँ लुल्हो केँ मोल हइ
कदम जोड़ी फूल।

बेटीक पिता बहाबथि नोरे
वरक पिता छथि खूब कठोरे
तेँ वर भेल बकलेल हइ
कदम जोडी फूल।

रुपया लेल बेटा पढ़बै छथि
विवाह भेने स्कूल छोरबै छथि
तेँ मेट्रिक केने फेल हइ
कदम जोड़ी फूल ।

करम बुरल छह तोहार तखने
मिथिला कन्या भेलह जखने
स्त्री जाति केँ ने मोल हइ
कदम जोडी फूल ।

★★★

वीरेन्द्र ठाकुर 'वियोगी' (1 जनवरी 1947 — 6 सितम्बर 2005) मैथिलीक सुचर्चित गीतकार-नाटकाकर छथि। साहित्यिक चर्चा-परिचर्चा सँ दूर रहि जीवन पर्यन्त मैथिली भाषा-साहित्य मे निरन्तर योगदान कएनिहार वीरेन्द्र ठाकुर 'वियोगी'क अभिलाषा, कदमजोड़ी फूल, रक्तकमल, व्यवस्था मे दाह वस्त्र, चाणक्य, कालिदास, वैदिक गाँव  माऊँबेहट आ राजा भोज प्रकाशित एवं सुचर्चित कृति छनि। एकरा अतिरिक्त कैक गोट नाटक अप्रकाशित। एतए प्रस्तुत गीत सभ प्रथमतः २००८  मे प्रकाशित हिनक गीत-संग्रह कदमजोड़ी फूल (सं—चन्द्रेश)मे प्रकाशित छनि।


कदम जोड़ी फूल कदम जोड़ी फूल Reviewed by बालमुकुन्द on अगस्त 16, 2015 Rating: 5

1 टिप्पणी:

Blogger द्वारा संचालित.