लोक काव्य केर चर्चित विधामेसँ एक कहमुकरी, भले हिन्दी भाषा -भाषी लेल बहुत पुरान विधा छैक परन्तु मैथिलि लेल ई एखनो नवे जेकाँ छैक. कहमुकरी अर्थात कहिकेँ मुकरि जेनाइ. कहमुकरी दू सखीक बीचक हास -परिहासपूर्ण वार्ता पर आधारित विधा छैक. आरंभमे अधिकांश कहमुकरी प्रेम आधारित होइत छलैक बादमे एकर क्षेत्रक विस्तार सेहो गजले जेकाँ भेलैक आ राजनीति ,विज्ञानं सन -सन आधुनिक आ समकालीन विषय पर सेहो कहमुकरी लिखल जाय लगलै . ई -मिथिला पर गुंजनश्री केर कहमुकरी'क बाद सुनील कुमार झा केर किछु नव कहमुकरी देल जा रहल अछि, जेकर केंद्रमें मुख्य मंत्री बिहार नितीश कुमार छथि , पढ़िकेँ बताउ - मॉडरेटर
(1)
गोदी बैठ निभेलथि यारी
जंगलराजक करू तैयारी
कोना हेतय आब नैया पार
ए सखि लालू ? ना नीतीश कुमार ।
(2)
सर्वे कए फुसि बतलाबे
खाली अपने अपने चलाबे
कहैत छथि सबके छी ईश
ए सखि टीवी? ना नीतीश ।
(3)
विशेष राज्यक गाबय राग
जनताक दबा देलक आवाज
कहता अपनाकेँ मठाधीश
ए सखि बिहार? ना सखि नीतीश !!
(4 )
परवीन संगे गेलय पीटर
बीजेपी की चलल छै हीटर
आर बना तू मठाधीश
ए सखि नेता ? ना सखि नीतीश
(5)
जदयू मे जखन गलल नहि दालि
तब ओ चलल 'आप' कए चालि
जदयू कए तँ बाजि गेल बीन
ए सखि वोटर ? ना परवीन !!
(6 )
पोटा पर करि देने छल चोट
अछि हुनकर नीयतमे खोट
राजनीतिमे बेसी बीस
ए सखि राजद ? ना नीतीश !!
संपर्क
सुनील कुमार झा
मोबाईल : 08084566672
(1)
गोदी बैठ निभेलथि यारी
जंगलराजक करू तैयारी
कोना हेतय आब नैया पार
ए सखि लालू ? ना नीतीश कुमार ।
(2)
सर्वे कए फुसि बतलाबे
खाली अपने अपने चलाबे
कहैत छथि सबके छी ईश
ए सखि टीवी? ना नीतीश ।
(3)
विशेष राज्यक गाबय राग
जनताक दबा देलक आवाज
कहता अपनाकेँ मठाधीश
ए सखि बिहार? ना सखि नीतीश !!
(4 )
परवीन संगे गेलय पीटर
बीजेपी की चलल छै हीटर
आर बना तू मठाधीश
ए सखि नेता ? ना सखि नीतीश
(5)
जदयू मे जखन गलल नहि दालि
तब ओ चलल 'आप' कए चालि
जदयू कए तँ बाजि गेल बीन
ए सखि वोटर ? ना परवीन !!
(6 )
पोटा पर करि देने छल चोट
अछि हुनकर नीयतमे खोट
राजनीतिमे बेसी बीस
ए सखि राजद ? ना नीतीश !!
संपर्क
सुनील कुमार झा
मोबाईल : 08084566672
सुनील कुमार झा केर किछु कहमुकरी
Reviewed by बालमुकुन्द
on
July 18, 2015
Rating:

No comments: