Sunday, January 15, 2017

साहित्यिक चौपाड़िक उन्नैसम गोष्ठी सफलतापूर्वक आयोजित, श्याम दरिहरे कें सम्मान

पटना, मैथिली भाषा एवं साहित्य कें संवर्धनार्थ विगत कइएक मास सँ कयल जा रहल अनौपचारिक गोष्ठी "साहित्यिक चौपाड़ि"क उन्नैसम आयोजन अपन  पूर्व निर्धारित समय दिनांक १५.१. २०१७ केँ बेरू पहर दू बजे सँ पटना म्यूजियम स्थित बिहार रिसर्च सोसायटी सभागार मे सफलतापूर्वक आयोजित भेल. कार्यक्रमक आरम्भ मे मैथिलीक वरीय कवि-कथाकार श्याम दरिहरे कें पुष्पमाला, गुलदस्ता आ  शॉल  भेंट क' सम्मानित कयल गेल. विदित अछि कि दरिहरे जी कें कथा संकलन 'बड़की काकी @ हॉटमेल डॉट कॉम' लेल  हालहिं साहित्य अकादमी पुरस्कार देबाक घोषणा कयल गेल अछि. 


तकरा बाद आयोजनक दोसर चरण मे, श्याम  दरिहरे द्वारा कथा खुटेसलक पाठ सँ  रचना पाठ सत्रक श्रीगणेश भेल.  जाहि मे बाद मे जतय अमित पाठक, रजनिश प्रियदर्शी, धीरेन्द्र कु. झा, नवलश्री पंकज, बालमुकुन्द, अशोक कु. दत्त, इंद्रकांत लाल,फणिभूषण लाल आ राजीव कर्ण अपन-अपन काव्य पाठ केलनि, ओतहि सत्यम  कुमार झा आ अविनाश कुमार लप्रेक, घनश्याम घनेरो विहनि कथा आ अखिलेश कुमार झा लघुकथा सुनौलनि. पठित प्रत्येक रचना पर उपस्थित दू-दू गोट रचनाकारक टिपण्णी लेल गेल. 


आयोजनक तेसर चरण मे, पूर्वहि सँ तय कार्यक्रमक अनुसार मैथिलीक सुचर्चित रंगकर्मी-साहित्यकार रमेश रंजनक सद्यः प्रकाशित काव्य संग्रह 'संक्रमण' पर परिचर्चा आयोजित भेल. एहि सत्रक आरम्भ गुंजन श्री द्वारा  प्रस्तुत पोथीक दू गोट काव्यक पाठ आ रमेश रंजनक परिचय सँ भेल. जाहि मे बाद मे उपस्थित विद्वान् लोकनि अपन-अपन विचार रखलनि. पोथी पर विचार रखैत बालमुकुन्द द्वारा  रमेश रंजन कें प्रतिवादक कवि बताओल गेल. ओ कहलनि कि संक्रमण केँ बुझबा सँ पूर्व लोक केँ नेपालक राजनीतिक हालात कें बुझ' पड़त, अन्यथा पाठक लेल कविता बुझब कनेक दुरूह होयत. संग्रह कें मूलतः पछिला पचासों बरसक नेपाली राजनीतिक दस्तावेज सेहो कहल गेल. 


एहि अवसर पर  मैथिली साहित्य संस्थानक सचिव श्री भैरव लाल दास कें हुनक जन्मदिवसक उपलक्ष्य मे साहित्यिक चौपाड़ि द्वारा पुष्पगुच्छ द' शुभकामना सेहो  देल गेल. चौपाड़िक एहि बैसार मे कथाकार अशोक, शिव कुमार मिश्र, भैरव लाल दास, अविनाश भरद्वाज, नीरज शेखर,  मुकुंद मयंक, रौशन कु. मैथिल आदिक सहभागिता सेहो रहल. आयोजनक कुशल संचालन गुंजन श्री द्वारा कयल गेल. इति. 

No comments:

Post a Comment