Thursday, December 10, 2015

क्रिएटिव कैंपस केर पहिल पोथी अक्षर-निर्झर विमोचित



 
 मैथिलीमे आम लेखक लेल पोथी प्रकाशनक असुविधाकेँ देखैत प्रायः ६ मास पहिने स्थापित  क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन हैदराबाद केर पहिल पोथीक रूपमे मैथिलीक मूर्धन्य कवि/साहित्यकार बुद्धिनाथ झा जीक कविता संग्रह 'अक्षर निर्झर'  प्रकाशित-विमोचित। हैदराबादसँ  पूरा समाद द' रहलानिए युवा कवि विकाश झा - मॉडरेटर.

 
 मैथिलीक मंचिय परम्पराक सलाखा उद्घोषक ,स्वनामधन्य कवि-साहित्यकार श्रद्धेय श्री बुद्धिनाथ झाजीक मैथिली काव्य-संग्रह 'अक्षर-निर्झर' केर विमोचन 'देसिल बयना'क संस्थापक/संयोजक श्री दयानाथ झाजी आ मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, हैदराबादक अध्यक्ष श्री आलोक कुमार झाजीक द्वारा दिनाँक ८/१२/२०१५ केँ हैदराबाद मे उपस्थित साहित्यानुरागी सभक समक्ष संपन्न भेल। एहि कार्यक्रमक संचालन करैत क्रिएटिव कैंपस प्रकाशनक संस्थापक श्री मोहन मुरारी झा अपन सम्बोधन मे एकरा एकटा ऐतिहासिक क्षण कहैत बजला जेँ आम लेखकक लेल पोथी प्रकाशनक असुविधाकेँ देखैत 'क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन'क स्थापना प्रायः 6 मास पूर्व केने छलाह। आइ श्रद्धेय बुद्धिनाथ झा जीक कविता संग्रह 'अक्षर निर्झर'क हैदराबाद मे लोकार्पणक संग 'क्रिएटिव कैंपस' प्रकाशन सँ पहिल पोथी प्रकाशित करबाक हुनका सौभाग्य प्राप्त भेलनि अछि। युवा साहित्यकार आ 'प्रवासी' पत्रिकाक संपादक श्री विनय कुमार झा हुनक काव्यक विशेषता पर प्रकाश दैत कहलनि जे हिनक काव्य मे विद्यापतिक व्यंजना आ अपन बयनाक सौंदर्य प्रस्फुटित होयत अछि जेँ पाठक केँ जिनगीक सब अपरूप सँ अवगत करबैत ओहि मझधार मे एसगर नहि छोड़ि पुनः संभावनाक लोक मे झीकि अनैत अछि। आदरणीय कवि श्री बुद्धिनाथ झाजी प्रकाशित पोथीक दू टा रचना पाठ क' समस्त श्रोतालोकनि केँ मुग्ध कयलन्हि। कार्यक्रम मे उपरोक्त महानुभाव सभहक अतिरिक्त देसिल बयनाक अध्य्क्ष श्री चंद्रमोहन कर्ण,महासचिव आ चर्चित युवा साहित्यकार मनोज शांडिल्य,विकाश कुमार झा,शारदा झा,मीनाक्षी चौधरी आदि साहित्यप्रेमी लोकनिक उपस्थिति रहलनि। विश्वास अछि जे 'क्रिएटिव कैंपस प्रकाशन'क ई पहिल अर्घ्य 'अक्षर निर्झर' सँ मैथिलीक समस्त पाठक आह्लादित हेताह आ संगे आशा करैत छी जेँ सभ साहित्य-प्रेमीगण एहि दुनू गोटेकेँ एहि उत्कृष्ट सृजनक लेल बधाइ आ शुभकामना देबय मे हमर संग तँ देबे करब, संगहि पोथी कीनि-पढ़ि क' अनुपम सरस मैथिली काव्यक आनंद लैत लेखक आ प्रकाशकक उत्साहवर्धन सेहो करबनि। पोथी शीघ्र पहिल ऑनलाइन मैथिली बुक स्टोर Sappymart.com  आ Amazon  पर सेहो उपलब्ध होयत। 160 टाका मूल्यक ई पोथी एखन विशेष ऑफरक तहत मात्र 125 टाका मे उपलब्ध होयत ।पोथी किनबाक लेल 09934666988 पर संपर्क करी.

समाद:-
विकाश झा
मोब-09776843779
(हैदराबाद)


No comments:

Post a Comment