Thursday, August 6, 2015

अमरनाथ मिश्र केर दस टा चरिपतिया

ई-मिथिला पर आइ मधुबनी जिलाक भटसिमरि ग्रामवासी अमरनाथ मिश्र  केर दस टा चरिपतिया देल जा रहल अछि. बिभूति आनंद केर चरिपतिया आंदोलन मे संग दैत , जे किछु रचनाकार फेसबुक पर नियमित रूपेँ चरिपतिया लिखि रहल छथि ओहि मे अमरनाथ जी अग्रगण्य छथि - मॉडरेटर. 

अमरनाथ मिश्र केर दस टा चरिपतिया :-

              (१)

गढ़लनि रचना विध-विधाता
फलल-फूलल संसार
गमकै गमगम बाग-बगीचा
हरषित भेलै परिवार

            (२)

 नभ स' झहरय प्रेमक मोती
तन-मन के सिहराबय
व्याकुल चित्त जिया उमताबय
विरह केँ व्यथा सताबय

            (३)

 साओन-भादब गरदा उरलै
परलै फेर अकाल
गामक-गाम उदासी परलै
मिथिला भेल बेहाल

           (४)

 पूब स' किरीण सकाले फूटल
सतरंगी बनल विहान
अम्बर स' वसुधा धरि पसरल
सुन्नर बनल जहान

           (५)

 मिथिलावासी करथि पुकार
आब नञ सहबै अत्याचार
मिथिला के जे करत विकास
तकरहि आब बनतै सरकार 


             (६)
 
 कुंठित कुंठा उतकंठा कुंठित
गाम-गाम आ ठाम-ठाम
कुंठाग्रस्त केलक कुंठित सभ
कुंठित बनलै मिथिलाधाम


             (७)

 पोखरि झाँखरि माँछ मखान
सुन्नर मुँह आ मगही पान
मिठगर कतरा मालदह आम
मिथिला धामक बनल शान


              (८)

मधुर कंठ आ मधुर गीत
मधुर हमर वेवहार
मधुरे मधुर मधुरायल सगरो
वेवस्था बात विचार


             (९)

 चंचल मनुवाँ भटकि रहल
मृगतृष्णाक माया संसार
जागृत अन्तर्मन चेताय रहल
सत्य करू स्वीकार


            (१०)

मायक ममता स्नेहक सागर 
सुख शान्तिप्रद होइछ 
पेट काटि आ कोढ़ सटा क'
आँचर तर पालैछ 

संपर्क:
अमरनाथ मिश्र 
मोबाइल: 09810057961  

2 comments: