सुनील कुमार झा केर किछु कहमुकरी

लोक काव्य केर चर्चित विधामेसँ एक कहमुकरी, भले हिन्दी भाषा -भाषी लेल बहुत पुरान विधा छैक परन्तु मैथिलि लेल ई एखनो नवे जेकाँ छैक. कहमुकरी अर्थात कहिकेँ मुकरि जेनाइ.  कहमुकरी दू सखीक बीचक हास -परिहासपूर्ण वार्ता पर आधारित विधा छैक. आरंभमे अधिकांश कहमुकरी प्रेम आधारित होइत छलैक बादमे एकर क्षेत्रक विस्तार सेहो गजले जेकाँ भेलैक आ राजनीति ,विज्ञानं सन -सन आधुनिक आ समकालीन विषय पर सेहो कहमुकरी लिखल जाय लगलै . ई -मिथिला पर गुंजनश्री केर कहमुकरी'क बाद सुनील कुमार झा केर किछु नव कहमुकरी देल जा रहल अछि, जेकर केंद्रमें मुख्य मंत्री बिहार नितीश कुमार छथि ,  पढ़िकेँ बताउ - मॉडरेटर

        (1)

गोदी बैठ निभेलथि यारी 
जंगलराजक करू तैयारी 
कोना हेतय आब नैया पार 
ए सखि लालू ? ना नीतीश कुमार ।

           (2)

सर्वे कए फुसि बतलाबे 
खाली अपने अपने चलाबे 
कहैत छथि सबके छी ईश 
ए सखि‍ टीवी? ना नीतीश ।

               (3)
  
विशेष राज्यक गाबय राग 
जनताक दबा देलक आवाज 
कहता अपनाकेँ  मठाधीश 
ए सखि बिहार? ना सखि‍ नीतीश !! 

                (4 )  

परवीन संगे गेलय पीटर 
बीजेपी की चलल छै हीटर 
आर बना तू मठाधीश 
ए सखि‍ नेता ? ना सखि नीतीश 

                (5)

 जदयू मे जखन गलल नहि दालि 
तब ओ चलल 'आप' कए चालि 
जदयू कए तँ  बाजि गेल बीन 
 ए सखि वोटर ? ना परवीन !! 

              (6 )

 पोटा पर करि देने छल चोट 
अछि हुनकर नीयतमे खोट 
राजनीतिमे बेसी बीस 
 ए सखि‍ राजद ? ना नीतीश !!

संपर्क 
सुनील कुमार झा 
मोबाईल : 08084566672
सुनील कुमार झा केर किछु कहमुकरी सुनील कुमार झा केर किछु कहमुकरी Reviewed by बालमुकुन्द on जुलाई 18, 2015 Rating: 5

कोई टिप्पणी नहीं:

Blogger द्वारा संचालित.