Friday, June 26, 2015

युवा कवि नारायण झासँ किछु प्रश्न

वृतिसँ शिक्षक आ रहुआ संग्राम, मधुबनी निवासी सशक्त युवा कवि नारायण झाकेँ दू दिन पहिने, हुनक पहिल आ एकमात्र काव्य संकलन 'प्रतिवादी हम' लेल साहित्य अकादमी युवा पुरस्कारक घोषणा कयल गेलैए. काल्हि एहि मादे हुनकासँ किछु गप्पशप भेल, साझा क' रहल छी - बाल मुकुंद पाठक.
===========================================
(1). नारायणजी अपनेक नामक घोषणा साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार लेल कयल गेलए, अपनेक अशेष बधाइ
नारायणजी : बधाइ स्वीकारल, बहुत-बहुत धन्यवाद.
(2). अहाँ 35 वर्षक छी आ साहित्य अकादमीक युवा पुरस्कार 35से वर्ष धरि भेटैत अछि. ताहि हिसाबे अहाँक ई पुरस्कार अंतिम स्टेजपर भेटल अछि. कहियो सोचने रही जे ई पुरस्कार भेटत, केहन लागि रहल अछि ?
नारायणजी : नै सोचने छलहुँ, पुरस्कार लेल हमर नामक घोषणा भेल बड्ड खुशी छी.

(3). सुनबामे आयल अछि जे एहि बेरूका युवा पुरस्कार लेल अपनेक पोथी 'प्रतिवादी हम' आ चंदन कुमार झाक पोथी 'धरतीसँ अकासधरि'मे सीधा टक्कर छलैक, की कहब अछि अपनेक ? की अहाँ धरतीसँ अकासधरि पढ़ने छी, जौं पढ़ने छी तँ केहन लागल ?
नारायणजी : हमरा ई टक्कर बला गप्प नै बूझल अछि आ चंदन जीक पोथी सेहो हम नै पढ़ने छी. जहाँ धरि टक्करक गप्प छैक तँ कोन पोथी उन्नैस आ कोन बीस ई पाठक, समीक्षक लोकक हाथ अछि.
(4). मैथिलीमे प्रकाशकक पैघ अभाव छैक. कोनो प्रकाशन पोथी प्रकाशित करबामे अपन पाय नै इन्वेस्ट कर' चाहै छथि, समस्यो पैघ छैक ओकर रिकभरी नै छैक. एहनमे अहाँक पोथीक प्रकाशन कोना संभव भेल छल?
  नारायणजी : हम ई पोथी अपना पायसँ नवारम्भ प्रकाशन पटनासँ छपबेने छलहुँ, जाहिमे लगभग 26000 टाका खर्च भेल छल.
(5). मैथिली पोथी नै बिकायत छैक आ अहाँ 26000 खर्च क' पोथी छपेलहुँ.
 नारायणजी : बात विश्वव्यापी सच. हमर ई पोथी 300 प्रति छपल छल आ एखन धरि मोसकिलसँ 100 प्रति बिकायल अछि.
कुल कतेक प्रति छपेने छलहुँ अहाँ 'प्रतिवादी हम' आ एखन धरि कतेक प्रति बिकायल अछि ?
(6). तखन तँ फेर ई घाटाक सौदा छैक. अहाँ हिसाबे मैथिली पोथी बेचबाक लेल की करबाक चाही ?
 नारायणजी :  हमरा हिसाबे जगह जगह साहित्यकार लोकनिक समूह बनय, जाहिमे किछु सदस्य बनय जे पोथी बेचबाक भार लैथि.
(7). आगाँ कोन विषय पर काज क' रहल छी ?
नारायणजी :  लेखन चलिते अछि. दू टा काव्य संकलनक पांडुलिपि तैयार अछि,जकर निकट भविष्यमे प्रकाशन करायब.
(8).अपनेक प्रिय रचनाकारकेँ छथि ?
नारायणजी :  एकर नम्हर सूची छैक तें एक रचनाकारक नाम कहब कठिन बुझाइत अछि.

(साहित्य अकादमी युवा पुरस्कारसँ पुरस्कृत हिनक पोथीक लेल 8051417051 पर संपर्क कयल जा सकैछ)

1 comment: